सरहसा | जिलाक जनताक लेल राहत आ नीक खबर अछि, जतय पुलिस तत्काल अपहरण कयल गेल व्यक्ति केँ अपराधीक चंगुल सँ 15 घंटाक भीतर मुक्त करा देलक। से पुलिस अधीक्षक हिमांशु कुमार अधीक्षक प्रेस कॉन्फ्रेंस क’ उपरोक्त जानकारी बृहस्पति दिन मने 22 फरवरी केँ देलनि।
जनतब दी जे बुधदिन अर्थात् 21 फरवरीक साँझ मे महिषी थाना क्षेत्र अंतर्गत सँ किछु अपराधी द्वारा एकटा व्यक्ति प्रभात कुमार केँ अपहरण करबाक सूचना थाना केँ भेटल। ताही जानकारीक आलोक मे, पुलिस अधीक्षक सँ प्राप्त निर्देशक अनुसार सदर अनुमंडल पुलिस अधिकारी आलोक कुमारक नेतृत्व मे एकटा विशेष टीमक गठन कयल गेल। गठित टीम तत्काल कार्रवाई करैत तकनीकी सहायता आ गुप्त जानकारी सभक आधार पर विभिन्न स्थान पर छापा मारलक। आ एहि क्रम मे अपहरण कयल गेल व्यक्ति केँ अपराधी सभ अपन चंगुल सँ मुक्त क’ देलक। अपहरण भेल युवक केर पिता द्वारा देल गेल आवेदनक आलोक मे प्राथमिकी दर्ज क’ घटना मे शामिल अपराधी सभ केँ गिरफ्तार करबाक लेल छापामारी कयल जा रहल अछि। एहि मामला मे एखन धरि दूटा मोटरसाइकिल सेहो बरामद भ’ चुकल अछि। ओ कहलनि जे जारी जांचक कारणेँ अपराधीक नामक खुलासा नहि भ’ रहल अछि। ओ इहो कहलनि जे एहि टीम मे महिषी थाना अध्यक्ष अमरनाथ कुमार, पुलिस उप निरीक्षक श्वेत कमल, सुनील कुमार, जिला खुफिया इकाइक अधिकारी आ कर्मी आ महिषी थाना सशस्त्र बलक जवान सभ शामिल छलाह। ओतहि अपहरण भेल प्रभात कुमार कहलनि जे पुलिस अधीक्षकक विशेष कृपा सँ हुनकर जान बाँचि सकल अछि। अतः एसपी सरक प्रति आभार व्यक्त करैत छी। पुलिस अधीक्षक कहलनि जे उपरोक्त घटना कोन कारण भेल अछि, तकर जांच भ’ रहल अछि।