दरभंगा | एकटा नमहर प्रतीक्षाक बाद अंततः दरभंगा एयरपोर्टक स्थायी सिविल टर्मिनल लेल टेंडरक प्रक्रिया पूरा क’ लेल गेल अछि। जी हाँ, ई एकटा खुशखबरी कहि सकैत छी जे दरभंगा एयरपोर्टक स्थायी टर्मिनल निर्माणक बात जे कतेको दिन बस चर्चा मे छल, तकर आब टेंडर प्रक्रिया पूर्ण क’ लेल गेल अछि। महत्वपूर्ण गप्प इहो जे आधारभूत संरचनाक लेल काज करय बला देशक प्रसिद्ध अहलूवालिया कॉन्ट्रैक्ट्स केँ दरभंगा एयरपोर्टक लेल नव सिविल टर्मिनल निर्माणक ठेका भेटल अछि। जेना कि हमरा लोकनि जनैत छी जे मिथिलाक एहि एकलौता एयरपोर्टक नव स्थायी टर्मिनल केँ ल’ क’ लेआउट पहिनहे सँ भ’ चुकल छैक। से आब मात्र सभ केँ कुल 572 करोड़क एहि परियोजना पर काज शुरू होयबाक प्रतीक्षा छैक। जनतब इहो जे सरकार द्वारा अहलूवालिया कॉन्ट्रैक्ट्स केँ ई परियोजना पूरा करबाक लेल दू बरखक समय निर्धारित कयलक अछि। जकर एकमात्र अर्थ ई भेलैक जे बरख 2027 सँ पहिने एहि स्थायी टर्मिनलक निर्माण पूरा क’ लेबाक छैक।
एम्हर कुल 66,600 वर्ग मीटर क्षेत्र बनय जा रहल एहि नव स्थायी सिविल टर्मिनल केर टेंडर फाइनल भ’ गेलाक बाद आब एकर शिलान्यास केँ ल’ क’ सेहो चर्चाक बाजार गर्म भेल अछि। कहल जा रहल छैक जे लोकसभा चुनावक घोषणा सँ पहिने एहि नव टर्मिनल के शिलान्यास भ’ जायत। मानल त’ एतय धरि जा रहलैए जे अगिला मासक पहिल सप्ताह मे एकर शिलान्यास कयल जायत। आ आधिकारिक सूत्र आ विभिन्न मीडिया रिपोर्ट सभक मानी त’ प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी एहि नव टर्मिनल सहित किछु आन-आन महत्वपूर्ण योजना सभक शिलान्यासक लेल अगिला मास बिहार आबि सकै छथि। हालांकि एखन धरि आधिकारिक रूप सँ पीएम मोदीक कार्यक्रम कोनो सूचना नहि अछि।
एहिठाम अपने लोकनि केँ जनतब दी जे दरभंगा एयरपोर्टक मुख्य टर्मिनल दू फेज मे बनाओल जायत। टर्मिनल केर पूरा क्षमता सालाना 42.5 लाख यात्रीक होयत, हालांकि एहि क्षमता केँ ल’ क’ मारिते रास सवाल सेहो उठाओल जा रहलैए। मुदा एखन ई कहल जा सकैए व्यस्ततम अवधि मे एहिठाम सँ एक संग 2000 सँ 5000 यात्रीक आवाजाही भ’ सकैत अछि।
दरभंगा एयरपोर्टक लेआउट प्लानक अनुसार एहि एयरपोर्टक स्थायी सिविल टर्मिनल 54 एकड़ मे बनत, जे एयरपोर्टक दक्षिण मे रहत आ नार्थ-ईस्ट कोरिडोर मने एनएच-57 सँ जुड़त। जनतब इहो जे राज्य सरकार दिस सँ देल गेल 24 एकड़ अतिरिक्त जमीन पर रनवेक विस्तार आ राति मे टेकआफ आ लैंड करयबाक सुविधाक लेल आइएलएस सिस्टम लगाओल जायत।