क्षेत्रीय शिक्षा संस्थान , भोपालक सेवा पूर्व शिक्षक प्रशिक्षु लेल नाट्य कार्यशाला आ प्रदर्शनक तहत नाट्य प्रस्तुति ‘दास्तान-ए-झाँसी” केर मंचन दिनांक 29 दिसंबर 2023 केँ पी.एस.एस.सी.आई.वी.आई के निनाद सभागार श्यामला हिल्स भोपाल मे कएल गेल। नाटक ‘दास्तान-ए-झाँसी’ केर लेखन अमिताभ श्रीवास्तव आ नाट्य आलेख हरिकेश मौर्य, परिकल्पना रमण कुमार आ निर्देशन अरुणाभ सौरभ केलनि। प्रस्तुति बी.ए बी.एड पाँचवा सेमेस्टरक क्षेत्रीय शिक्षा संस्थानक विद्यार्थिक रहल आ जेकरा मैलोरंग नई दिल्लीक सहयोग सँ कएल गेल।
नाटक मे इतिहास, मिथक आ हमर समय तीनूक संगहि प्रस्तुत क रचनात्मक आयाम देल गेल अछि। दास्तानक शिल्प मे एक नव भाव – भंगिमा आ अर्थ – छविक संग झाँसी नगर आ लक्ष्मीबाई दर्शक सोझा अबैत अछि।
दास्तान-ए-झांसी एकटा ऐतिहासिक नाटक अछि ई नाटक नारी शक्ति केँ केंद्र मे राखि क’ बनाओल गेल अछि। नाटकक प्रारंभ कथावाचक करैत अछि आ कथा केँ आगू बढ़बैत अछि।है नाटक मे बहुतो जगह सुभद्रा कुमारी चौहानक कविता झांसी वाली रानी सँ किछु पाँति केँ संगीतबद्ध कएल गेल अछि जे एहि नाटक केँ एक संगीतमय प्रस्तुतिक रूप दैत अछि। नाटक वीर सिंह जूदेव द्वारा बलवंत नगरक किला निर्माण सँ ल’ क’ बलवंत नगरक नाम झाई सी यानी कि झांसी कोना पड़ल तकर यात्रा देखबैत अछि संगहि ई नाटक मनु सँ झाँसीक प्रसिद्ध रानी लक्ष्मीबाई बनबाक प्रेरक कहानी केँ जीवंत करैत अछि।
क्षेत्रीय शिक्षा संस्थान भोपाल मे ई नाटक दस दिवसीय कार्यशाला मे तैयार कएल गेल। नाट्य कार्यशाला मे रमण कुमार, डॉ प्रकाश सन विशेषज्ञ रंगमंचक अवयव अभिनय, संगीत, मंच परिकल्पना आ नृत्य आदि तमाम अवयवों पर प्रशिक्षण देल गेल। नाटकक निर्देशन अरुणाभ सौरभ केलनि। कार्यशाला मे संगीत प्रशिक्षक राजेश पाठक, अब्दुस अंसारी,रोहित कुमार,नृत्य प्रशिक्षक मार्टिना,साक्षी झा और मंच पार्श्व के लिए , हर्ष मनु, हरिकेश मौर्य, शाहिल गुप्ताआदि शामिल रहलाह।कार्यक्रमक समन्वयक डॉ. अरुणाभ सौरभ, डॉ. सुरेश मकवाणा, विस्तार शिक्षाक अध्यक्ष प्रोफेसर चित्रा सिंह तथा प्राचार्य प्रोफेसर जयदीप मंडल जीक संग क्षेत्रीय शिक्षा संस्थान के सभ संकाय सदस्यक उपस्थिति महत्वपूर्ण रहल।