आवाज डेस्क | राष्ट्रीय राजधानी दिल्ली मे संचालित मैथिलीक प्रसिद्ध साहित्यिक एवं सांस्कृतिक संस्था मैथिली साहित्य महासभा अर्थात् मैसामक आंतरिक कार्यकारिणीक चुनाव रवि दिन संपन्न भेल। जाहि मे वर्तमान अध्यक्ष सुनीत ठाकुर केँ हरा क’ राहुल झा अध्यक्ष पद पर निर्वाचित भेलाह। ओ एहि पदक लेल भेल रोमांचक त्रिकोणीय मुकाबला मे अपन निकटतम प्रतिद्वंदी संजीव सिन्हा आ सुनीत ठाकुर केँ क्रमशः एक आ दू भोट सँ परास्त क’ विजय प्राप्त कयलनि।
जनतब दी जे अध्यक्ष पदक लेल कुल पड़ल 27 गोट भोट मे सँ सभ सँ बेसी 10टा भोट राहुल झा केँ भेटल। जखन कि संजीव सिन्हा आ वर्तमान अध्यक्ष सुनीत ठाकुर केँ क्रमशः नौ गोट आ आठ गोट भोट सँ संतोष करय पड़ल। त’ महासचिवक पद पर केशव झा एवं सोनी चौधरी तथा कोषाध्यक्षक पद पर आशीष नीरज पहिनहि निर्विरोध निर्वाचित भ’ चुकल छथि। चुनाव अधिकारी टी. एन झाक नेतृत्व मे कार्यकारिणीक निर्वाचन सँ संबंधित सभ औपचारिकता पूर्ण कयल गेल।
अपने लोकनि जनैत छी जे मैथिली भाषाक संरक्षण आ संवर्धनक लेल वर्ष 2015 मे स्थापित दिल्लीक अग्रणी साहित्यिक- सांस्कृतिक संस्था मैथिली साहित्य महासभा अपन छोट कार्यकाल मे मारिते रास साहित्यिक एवं सांस्कृतिक कार्यक्रम आयोजित क’ कीर्तिमान स्थापित कयलक अछि। जाहि मे अंतर्राष्ट्रीय मातृभाषा दिवसक अवसर पर सभ साल साल 21 फरवरी केँ वार्षिक संगोष्ठी, सितम्बर मास मे ‘एकल व्याख्यानमाला’ सहित विराट कवि सम्मेलनक आयोजन आ साहित्य वार्षिकी ‘अपूर्वा’क प्रकाशन प्रमुख अछि। एकर अतिरिक्त मैथिली भाषा मे उत्कृष्ट रचना करय वला युवा साहित्यकार केँ लेखन मे प्रोत्साहित करबाक लेल सभ बरख मैसाम युवा सम्मान सेहो प्रदान कयल जाइत रहल अछि।