मधुबनी | बिहार सरकारक जल संसाधन एवं सूचना सह जनसंपर्क विभागक मंत्री संजय कुमार झा सोशल मीडिया पर पोस्ट करैत जनौलनि अछि जे अररिया संग्राम, झंझारपुर मे जल संसाधन विभाग बिहार सरकार दिस सँ निर्मित मिथिला हाटक क्षमता एक संग करीब तीन हजार पर्यटक केँ सम्हारबाक अछि। मुदा, नव बरखक पहिले दिन करीब एक लाख लोक ओतय पहुँचल छलाह। से एहि सँ उत्पन्न भेल स्थिति केँ सम्हारबाक लेल पुलिस आ प्रशासनक सहयोग लेबय पड़ल। एंट्री टिकट बिक्री बंद करय पड़ल। जाहि कारणें बहुतो लोक केँ ओतय सँ निराश भ’ घुरय पड़लनि। एहन लोक सभ केँ भेल परेशानीक लेल हमरा दुख अछि।
मंत्री आगू लिखलनि जे अहाँ केँ ई बूझि क’ प्रसन्नता होयत जे ‘मिथिला हाट’ मे अढाइ सौ लोक केँ प्रत्यक्ष रोजगार भेटल अछि। संगहि मिथिलाक कला-संस्कृति एवं हस्तशिल्पक कलाकार लोकनि आ परिवहन व्यवसाय सँ जुड़ल मारिते रास लोकक लेल बाजार वा एना कही जे अप्रत्यक्ष रोजगार उपलब्ध करौलक अछि। ‘मिथिला हाट’ मिथिलाक कला-संस्कृतिक संरक्षण एवं संवर्धन आ पर्यटनक विकासक लेल संभावना सभ केँ जन्म देलक अछि। से मिथिलाक आन-आन जिला सभ मे सेहो जँ एहन हाट खोलल जाय त’ ओहो सफल होयत।
संजय झा अपन पोस्ट मे इहो लिखने छथि जे हम ‘मिथिला हाट’ मे प्रवेशक टिकट केँ ऑनलाइन बिक्रीक व्यवस्था करबाक निर्देश देलहुँ अछि, जाहि सँ की भविष्य मे पर्यटन केँ मिथिला हाट अयलाक बाद घुरय नहि पड़नि। संगहि ओ लोक सभ सँ इहो आग्रह कयलनि जे ‘मिथिला हाट’क प्रति ई प्रेम आ सहयोग आगू सेहो बनौने राखथि।