पटना | मुखिया, उपमुखिया, वार्ड सदस्य, सरपंच, उपसरपंच आ पंच लोकनिक मासिक भत्ता दुगुना होयत। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार ग्राम पंचायत आ ग्राम कचहरीक एहि प्रतिनिधि लोकनि केँ नव बरखक बड़का उपहार देलनि अछि। से ओ बीतल दिन हिनका लोकनि भत्ता मे सम्मानजनक वृद्धिक घोषणा कयलनि आ पंचायती राज विभागक पदाधिकारी लोकनि केँ आवश्यक कार्रवाई करबाक निर्देश देलनि।
मुख्यमंत्रीक एहि घोषणाक बाद पंचायती राज मंत्री मुरारी प्रसाद गौतम जानकारी देलनि जे एहि प्रतिनिधि लोकनिक भत्ता मे राज्य सरकार दुगुना वृद्धि करय जा रहल अछि। ओ जनौलनि जे भेंट करय आयल ग्राम पंचायत आ ग्राम कचहरीक प्रतिनिधिमंडलक समक्ष मुख्यमंत्री कहलनि अहाँ सभ गोटे खूब नीक जकाँ काज क’ रहल छी। अहाँ सभ जे मांग कयलहुँ अछि, ओहि आधार पर भत्ता मे सम्मानजनक वृद्धि कयल जायत।
एक अणे मार्ग स्थित लोक संवाद मे बीतल दिन मुखिया, उपमुखिया, वार्ड सदस्य, सरपंच, उपसरपंच आ पंच सभक शिष्टमंडल सीएम नीतीश सँ शिष्टाचार भेंट कयलनि आ अपन समस्या हुनका सोझा रखलनि। से मुख्यमंत्री समस्या सभ केँ सुनलोपरांत कहलनि जे राज्य मे पंचायती राज्य व्यवस्था केँ बढ़िया बनयबाक लेल मारिते रास डेग उठाओल गेल अछि। बरख 2005 मे सरकार मे अयलाक बाद पंचायती राज व्यवस्था केँ बेहतर कयल गेल। पंचायती राज संस्था सभ एवं नगर निकाय सभक चुनाव मे महिला लोकनि केँ 50 प्रतिशतक आरक्षण देल गेल। एहि सँ भारी संख्या मे महिला लोकनि समाजक नेतृत्व करबाक लेल आगू अयलीह। गाम आ टोल सभ मे पकिया गली आ नालीक निर्माण कराओल गेल। हर घर धरि नल केर जल पहुँचाओल गेल। घरे-घर बिजली पहुंचाओल गेल। सभ पंचायतक वार्ड सभ मे सोलर स्ट्रीट लाइट लगाओल जा रहलैक अछि।
एहि अवसर पर वित्त मंत्री विजय कुमार चौधरी, पंचायती राज मंत्री मुरारी प्रसाद गौतम, मुख्यमंत्रीक प्रधान सचिव दीपक कुमार आ डाॅ. एस सिद्धार्थ, पंचायती राज विभागक अपर मुख्य सचिव मिहिर कुमार सिंह, वित्त विभागक प्रधान सचिव अरविंद कुमार चौधरी आ पंचायती राज विभागक निदेशक आनंद शर्मा उपस्थित छलथि।
एखन कतेक छैक मानदेय
पद संख्या मानदेय
मुखिया 8067 ₹2500
उप मुखिया 8067 ₹1200
वार्ड सदस्य 109634 ₹500
सरपंच 8067 ₹2500
उप सरपंच 8067 ₹1200
पंच 109634 ₹500
पंचायत समिति सदस्य 11094 ₹1000
जिला परिषद सदस्य 1160 ₹2500
प्रमुख 533 ₹10000
उपप्रमुख 533 ₹5000
जिला परिषद अध्यक्ष 38 ₹12000
जिला परिषद उपाध्यक्ष 38 ₹10000